भालसरिक गाछ/ विदेह- इन्टरनेट (अंतर्जाल) पर मैथिलीक पहिल उपस्थिति

भालसरिक गाछ/ विदेह- इन्टरनेट (अंतर्जाल) पर मैथिलीक पहिल उपस्थिति

(c) २०००-२०२२ सर्वाधिकार सुरक्षित। विदेहमे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ताक लगमे छन्हि।  भालसरिक गाछ जे सन २००० सँ याहूसिटीजपर छल http://www.geocities.com/.../bhalsarik_gachh.html , http://www.geocities.com/ggajendra   आदि लिंकपर  आ अखनो ५ जुलाइ २००४ क पोस्ट http://gajendrathakur.blogspot.com/2004/07/bhalsarik-gachh.html   (किछु दिन लेल http://videha.com/2004/07/bhalsarik-gachh.html   लिंकपर, स्रोत wayback machine of https://web.archive.org/web/*/videha   258 capture(s) from 2004 to 2016- http://videha.com/  भालसरिक गाछ-प्रथम मैथिली ब्लॉग / मैथिली ब्लॉगक एग्रीगेटर) केर रूपमे इन्टरनेटपर  मैथिलीक प्राचीनतम उपस्थितक रूपमे विद्यमान अछि। ई मैथिलीक पहिल इंटरनेट पत्रिका थिक जकर नाम बादमे १ जनवरी २००८ सँ "विदेह" पड़लै। इंटरनेटपर मैथिलीक पहिल उपस्थितिक यात्रा विदेह- प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका धरि पहुँचल अछि, जे http://www.videha.co.in/   पर ई प्रकाशित होइत अछि। आब “भालसरिक गाछ” जालवृत्त 'विदेह' ई-पत्रिकाक प्रवक्ताक संग मैथिली भाषाक जालवृत्तक एग्रीगेटरक रूपमे प्रयुक्त भऽ रहल अछि। विदेह ई-पत्रिका ISSN 2229-547X VIDEHA

 

(c)२०००-२०२२. सर्वाधिकार लेखकाधीन आ जतऽ लेखकक नाम नै अछि ततऽ संपादकाधीन। विदेह- प्रथम मैथिली पाक्षिक ई-पत्रिका ISSN 2229-547X VIDEHA सम्पादक: गजेन्द्र ठाकुर। सह-सम्पादक: डॉ उमेश मंडल। सहायक सम्पादक: राम वि‍लास साहु, नन्द विलास राय, सन्दीप कुमार साफी आ मुन्नाजी (मनोज कुमार कर्ण)। सम्पादक- नाटक-रंगमंच-चलचित्र- बेचन ठाकुर। सम्पादक- सूचना-सम्पर्क-समाद- पूनम मंडल। सम्पादक -स्त्री कोना- इरा मल्लिक।

रचनाकार अपन मौलिक आ अप्रकाशित रचना (जकर मौलिकताक संपूर्ण उत्तरदायित्व लेखक गणक मध्य छन्हि) editorial.staff.videha@gmail.com केँ मेल अटैचमेण्टक रूपमेँ .doc, .docx, .rtf वा .txt फॉर्मेटमे पठा सकै छथि। एतऽ प्रकाशित रचना सभक कॉपीराइट लेखक/संग्रहकर्त्ता लोकनिक लगमे रहतन्हि,'विदेह' प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका मात्र एकर प्रथम प्रकाशनक/ प्रिंट-वेब आर्काइवक/ आर्काइवक अनुवादक आ आर्काइवक ई-प्रकाशन/ प्रिंट-प्रकाशनक अधिकार ऐ ई-पत्रिकाकेँ छै, आ से हानि-लाभ रहित आधारपर छै आ तैँ ऐ लेल कोनो रॊयल्टीक/ पारिश्रमिकक प्रावधान नै छै। तेँ रॉयल्टीक/ पारिश्रमिकक इच्छुक विदेहसँ नै जुड़थि, से आग्रह। रचनाक संग रचनाकार अपन संक्षिप्त परिचय आ अपन स्कैन कएल गेल फोटो पठेताह, से आशा करैत छी। रचनाक अंतमे टाइप रहय, जे ई रचना मौलिक अछि, आ पहिल प्रकाशनक हेतु विदेह (पाक्षिक) ई पत्रिकाकेँ देल जा रहल अछि। मेल प्राप्त होयबाक बाद यथासंभव शीघ्र ( सात दिनक भीतर) एकर प्रकाशनक अंकक सूचना देल जायत।  एहि ई पत्रिकाकेँ श्रीमति लक्ष्मी ठाकुर द्वारा मासक ०१ आ १५ तिथिकेँ ई प्रकाशित कएल जाइत अछि।

स्थायी स्तम्भ जेना मिथिला-रत्न, मिथिलाक खोज, विदेह पेटार आ सूचना-संपर्क-अन्वेषण सभ अंकमे समान अछि, ताहि हेतु ई सभ स्तम्भ सभ अंकमे नइ देल जाइत अछि, ई सभ स्तम्भ देखबा लेल क्लिक करू नीचाँ देल विदेहक 346म आ 347 म अंक, ऐ दुनू अंकमे सम्मिलित रूपेँ ई सभ स्तम्भ देल गेल अछि।

“विदेह” ई-पत्रिका: देवनागरी वर्सन

“विदेह” ई-पत्रिका: मिथिलाक्षर वर्सन

“विदेह” ई-पत्रिका: मैथिली-IPA वर्सन

“विदेह” ई-पत्रिका: मैथिली-ब्रेल वर्सन

 VIDEHA_346

 VIDEHA_346_Tirhuta

 VIDEHA_346_IPA

 VIDEHA_346_Braille

 VIDEHA_347

 VIDEHA_347_Tirhuta

 VIDEHA_347_IPA

 VIDEHA_347_Braille

 

११२म 'सगर राति दीप जरय' सहुरिया-नवटोली मे सम्पन्न भेल

 ११ 'सगर राति दीप जरय' सहुरिया-नवटोली मे सम्पन्न भेल

 

सगर राति दीप जरय’ कथा-साहित्य गोष्ठीक भव्य आयोजन दिनांक २५ मार्च २०२३क शनि दिन मधुबनी जिलाक अन्धरा बाजारक सटले शिवा पंचायत अन्तर्गत अभिनव शिक्षा निकेतन, सहुरिया-नवटोली केर परिसर मध्य प्रसिद्ध कथाकार श्री राम चन्द्र राय ऊर्फ रामू सरजीक संयोजकत्वमे सम्पन्न भेल। आयोजनक शुभारम्भ बिहार सरकारक लोक स्वास्थ्य यांत्रिकी विभागक पूर्व मंत्री डॉ. रामप्रीत पासवान, साहित्य अकादेमी द्वारा क्रमश: २०२० आ २०२१क पुरस्कार प्राप्त द्वय साहित्यकार डॉ. कमलकान्त झा आ श्री जगदीश प्रसाद मण्डल, अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली साहित्य परिषद्क अध्यक्ष डॉ. धनाकर ठाकुर, प्रगतिशील लेखक संघ, मधुबनीक सचिव श्री अरविन्द प्रसाद, दिल्ली उच्च न्यायालयक अधिवक्ता श्री ब्रह्मानन्द प्रसाद आ वरिष्ठ साहित्यकार श्री रामश्रेष्ठ दिवानाजी सामूहिक रूपेँ दीप प्रज्जवित कए केलैन। मंचासिन अतिथिगणकेँ पुष्पमाला आ नव वस्त्रसँ सम्मानित करैत उद्घाटन सत्रक मंच संचालक श्री राम चन्द्र रायजी कार्यक्रमकेँ आगू बढ़ौलैन। सर्वप्रथम सुश्री शशिप्रभा आ सुश्री चन्दा कुमारी द्वारा स्वागत गान प्रस्तुत कएल गेल। तत्पश्चात् हम (उमेश मण्डल) स्वागत भाषणक संग ‘सगर राति दीप जरय’क ऐ कथा-यात्राक संक्षिप्त परिचय प्रस्तुत करैत बजलौं- ओ कहलैन, मैथिली साहित्यक विकास हेतु समर्पित अनेको मंचक मध्य मात्र यएह एक ओहन मंच अछि जैपर उपस्थिति लेल कोनो रोक-टोक किनको लेल नहि। मैथिली कथाक विकासमे ‘सगर राति दीप जरय’केँ कथाकार-समीक्षक हेतु वर्कशॉप कहल जाइत अछि। उद्घाटनक सत्रकेँ जारी रखैत विभिन्न साहित्यकारक भिन्न-भिन्न विधामे कुल दस गोट पोथीक लोकर्पाण सेहो भेल। क्रमश: कथा सत्रमे प्रवेश करैत एक विशिष्ठ अध्यक्ष मण्डलक गठन भेल जइमे साहित्यश्री प्रीतम कुमार निषाद, श्री राम विलास साहु, डॉ. शिव कुमार प्रसाद, प्रो. रामेश्वर प्रसाद मण्डल, श्री कपिलेश्वर राउत, श्री उमेश नारायण कर्ण आ पं. शिव कुमार मिश्रकेँ मंचासिन करौल गेलैन, संगे भरि रातिक ऐ सत्रक संचालन हेतु श्री नारायण यादव, श्री दुर्गानन्द मण्डल, श्री बैजनाथी राम आ श्री नन्द विलास रायजी सेहो मंचासिन भेला। सबहक सम्मानक संग प्रत्येक कथाकार ओ समीक्षक लोकनिकेँ सेहो नव वस्त्र आ पुष्पमालासँ सम्मानित करैत विभिन्न पालीमे कुल ३४ गोट कथाक पाठ भेल आ पठित कथासभपर पूर्व गोष्ठीक भाँत समीक्षा-टिप्पणी सेहो भेल। ६ बजे भिनसरमे दीप आ पंजी आगामी संयोजक (श्री नारायण यादव)केँ प्रदान कएल गेलैन। दीप-पंजी लैत श्री यादवजी आगामी आयोजनक घोषणा करैत कहलैन जे ‘सगर रात दीप जरय’क ऐगला दीप, नहरी (खुटौना) गाममे जून मासक अन्तिम शनि दिन जरत।   

अवसरिपर लोकार्पित पोथी आ पठित कथा सबहक विवरण निम्न अछि-

. सपना साकार (कथा संग्रह)  :  श्री राम चन्द्र राय (ऊर्फ रामू सर);. उपायन (काव्य संग्रह) : श्री राज किशोर मिश्र; . जगदीश प्रसाद मण्डल : एक जीवनी  :  श्री रामेश्वर प्रसाद मण्डल; . नाचि रहल छलि वसुधा (उपन्यास)  :  श्री रबीन्द्र नारायण मिश्र;. अन्तर्ध्वनि (कथा संचयन) :  डॉ. उमेश मण्डल; . Jagdish P. Mandal Maithili Writer  :  Sh. Gajendra Thakur; . सेहन्ता सेहनते रहि गेल (कथा संग्रह)  :  श्री जगदीश प्रसाद मण्डल; . सुनयना बेटी (उपन्यास) : श्री जगदीश प्रसाद मण्डल; मिथिला सपूत डॉ. गुरमैता  :  डॉ. कमल कान्त झा; १०मोबाइलक लिला  (ललित निबन्ध)  :  डॉ. कमल कान्त झा

कथा पाठ-

. घटैत-बढ़ैत चन्दा मामा- दिव्या चन्द्रा; . गोबर बिछनी- नारायण यादव; . घी केतए हेराएल तँ दालिमे- नन्द विलास राय; . बहुगुनी रोटी- जनक लाल मण्डल; . देखलेपर देखब- पल्लवी मण्डल; . टाइम पास- धनाकर ठाकुर; . पढ़ब केना- रविभूषण कुमार; . मधुमाछी आ माछी- राम विलास साहु; . मोबाइल स्कूल- चन्द्र मोहन आचार्य; १०. कहबी फेल- कमलकान्त झा; ११. वुर्कावाली- उमेश नारायण कर्ण; १२. चारिम कथा- मानब अनीश मण्डल; १३. चकबिदोर- रामेश्वर प्रसाद मण्डल; १४. डायनोसोर हेबासँ बँचाउ- अरविन्द प्रसाद; १५. प्रेमक रिश्ता- दुर्गानन्द मण्डल; १६. परछाँही- झोली पासवान; १७. पुरना स्वीटर- रितिक कुमार; १८. असल चोर के- डॉ. वीणा प्रसाद; १९. सहोदर- कुमार सुनील नारायण; २०. माइक ममता- जगदीश मण्डल; २१. टेलिविजनक मुसलमान- राम नरेश यादव; २२. सनेसक गाछ- राधाकान्त मण्डल; २३. अप्पन आसा- प्रीतम कुमार निषाद; २४. गोबर कढ़नी- कपिलेश्वर राउत; २५. दस वर्षक बाद- उमेश मण्डल; २६. स्थानक महत्व- शिव कुमार मिश्र; २७. आमक खेतीमे गायक योगदान- बेचन ठाकुर; २८. भगवान भुखले नह राखय छथि- गौरी शंकर साह; २९. कनफुसकी- संतोष कुमार राय; ३०. परिश्रमक फल- परमानन्द कुमार राय; ३१. बाबूजीक अरमान- सत्यनारायण व्यास; ३२. दलित मजदूर -बैजनाथी राम; ३३. शॉर्टकट रास्ता- जगदीश प्रसाद मण्डल; ३४. नशामुक्त गाम- राम चन्द्र राय ऊर्फ रामू सर

सगर राति दीप जरय पहिल सँ ११ धरिक कथा यात्रा

. मुजफ्फरपुर, २१.०१.१९९०, प्रभास कुमार चौधरी; . डेओढ़, २९.०४.१९९०, जीवकान्त; . दरभंगा, ०७.०७.१९९०, डॉ. भीमनाथ झा, प्रदीप मैथिली पुत्र, विजयकान्त ठाकुर; . पटना, .११.१९९०, गोविन्द झा, दमनकान्त झा; . बेगुसराय, १३.०१.१९९१, प्रदीप बिहारी; . कटिहार, २२.०४.१९९१, अशोक; . नवानी, २१.०७.१९९१, मोहन भारद्वाज; . सकरी, २२.१०.१९९१, प्रो. सुरेश्वर झा, डॉ. राम बाबू; . नेहरा, ११.१०.१९९२, .सी. दीपक; १०. विराटनगर, १४.०४.१९९२, जीतेन्द्र जीत; ११. वाराणसी, १८.०७.१९९२, प्रभास कुमार चौधरी; १२. पटना, १९.१०.१९९२, राजमोहन झा; १३. सुपौल- , १८.१०.१९९३, केदार कानन; १४. बोकारो, २४.०४.१९९३, बुद्धिनाथ झा; १५. पैटघाट, १०.०७.१९९३, डॉ. रमानन्द झा 'रमण' ; १६. जनकपुर, ०९.१०.१९९४, रमेश रंजन; १७. इसहपुर, ०६.०२.१९९४, डॉ. अरविन्द कुमार 'अक्कू'; १८. सरहद, २३.०४.१९९४, अमिय कुमार झा; १९. झंझारपुर, ०९.०७.१९९४, श्यामानन्द चौधरी; २०. घोघरडीहा, २२.१०.१९९४, डॉ. नारायणजी; २१. बहेरा, २१.०१.१९९५, कमलेश झा; २२. सुपौल (दरभंगा) , ०८.०४.१९९५, कमलेश झा; २३. काठमांडू, २३.०९.१९९५, धीरेन्द्र प्रेमर्षि; २४. राजविराज, २४.०१.१९९६, रामनारायण देव; २५. कोलकाता (रजत जयंती, २८.१२.१९९६), प्रभास कुमार चौधरी; २६. महिषी, १३.०४.१९९७, डॉ. तारानन्द वियोगी/ रमेश प्रायोजित; २७. तरौनी, २०.०६.१९९७, शोभाकान्त; २८. पटना, १८.०७.१९९७, प्रभास कुमार चौधरी; २९. बेगूसराय, १३.०९.१९९७, प्रदीप बिहारी; ३०. खजौली, ०४.०४.१९९८, प्रदीप बिहारी; ३१. सहरसा, १८.०७.१९९८, रमेश; ३२ पटना, १०.१०.१९९८, श्याम दरिहरे; ३३. बलाइन; नागदह, ०८.०१.१९९९, पदम सम्भव; ३४. भवानीपुर, १०.०४.१९९९, डॉ. जिष्णु दत्त मिश्र; ३५. मधुबनी, २४.०७.१९९९, सियाराम झा 'सरस', डॉ. कुलधारी सिंह; ३६. अन्दौली, २०.१०.१९९९, कमलेश झा; ३७. जनकपुर, २५.०३.२०००, रमेश रंजन; ३८काठमांडू, २५.०६.२०००, धीरेन्द्र प्रेमर्षि; ३९. धनबाद, २१.१०.२०००, श्याम दरिहरे एवं रामचन्द्र लालदास; ४०. बिटठो, २१.०१.२००१, डॉ. अक्कूप्रो.विद्यानन्द झा; ४१. हटनी (घोघरडीहा), १९.०५.२००१, प्रो. योगानन्द झा/अजित कु.आजाद; ४२. बोकारो, २५.०८.२००१, गिरिजानन्द झा 'अर्धनारीश्वर',  मिथिला सा. परिषद्; ४३. पटना, किरणजयंती, ०१.१२.२००१, अशोक, चेतना समिति, पटना; ४४. राँची, १३.०४.२००२, कुमार मनीष अरविन्द; ४५. भागलपुर, २४.०८.२००२, धीरेन्द्र मोहन झा; ४६. पटना, (विद्यापति भवन पटना), १६.११.२००२, अजित कुमार आजाद; ४७. कोलकाता, २२.०१.२००३, कर्णगोष्ठी, कोलकाता; ४८. खुटौना, ०७.०६.२००३, डॉ. महेन्द्र नारायण राम; ४९. बेनीपुर, २०.०९.२००३, कमलेश झा; ५०. दरभंगा, २१.०२.२००४, डॉ. अशोक कुमार मेहता; ५१. जमशेदपुर, १०.०७.२००४, डॉ. रवीन्द्र कुमार चौधरी; ५२. राँची, ०२.१०.२००४, विवेकानन्द ठाकुर ; ५३. देवघर, ०८.०१.२००५, श्याम दरिहरे एवं अविनाश; ५४. बेगूसराय, ०९.०४.२००५, प्रदीप बिहारी; ५५. पूर्णियाँ, २०.०६.२००५, रमेश; ५६. पटना, ०३.११.२००५, अजीत कुमार आजाद; ५७. जनकपुर (नेपाल) , १२.०८.२००६, रमेश रंजन; ५८. जयनगर, ०२.१२.२००६, नारायण यादव; ५९. बेगूसराय, १०.०२.२००७, प्रदीप बिहारी; ६०. सहरसा, २१.०७.२००७, किसलय कृष्ण; ६१. सुपौल-, ०१.१२.२००७, अरविन्द ठाकुर; ६२. जमशेदपुर, ०३.०५.२००८, डॉ. रवीन्द्र कुमार चौधरी; ६३. राँची, १९.०७.२००८, कुमार मनीष अरविन्द; ६४. रहुआ संग्राम (मधुबनी), ०८.११.२००८, डॉ. अशोक अविचल; ६५. पटना, कथा गंगा-, २१.०२.२००९, अजित कुमार आजाद/ चेतना समिति; ६६. मधुबनी, ३०.०५.२००९, दिलीप कुमार झा; ६७. समस्तीपुर, ०५.०९.२००९, रमाकान्त रय 'रमा'; ६८. सुपौल- , ०५.१२.२००९, अरविन्द ठाकुर; ६९. जनकपुर, ०३.०४.२०१०, राजाराम सिंह 'राठौर'; ७०. कबिलपुर (दरभंगा) , १२.०६.२०१०, डॉ. योगानन्द झा; ७१. बेरमा (झंझारपुर), ०२.१०.२०१०, जगदीश प्रसाद मण्डल, स्थानीय साहित्य प्रेमी; ७२. सुपौल, ०४.१२.२०१०, अरविन्द ठाकुर; ७३. महिषी, कथा राजकमल, ०५.०३.२०११, विजय महापात्र; ७४. हजारीबाग, १०.०९.२०११, श्याम दरिहरे; ७५. पटना, हीरक जयन्ती, १०.१२.२०११, अशोक एवं कमलमोहन 'चुन्नु'; ७६.चेन्नै, १४.०७.२०१२, विभा रानी; ७७. दरभंगा, किरण जयन्ती, ०१.१२.२०१२, अरविन्द ठाकुर ; ७८. घनश्यामपुर, ०९.०३.२०१३, कमलेश झा; ७९. औरहा (लौकही), १५..२०१३, उमेश पासवान; ८०. निर्मली (सुपौल), ३०.११.२०१३, उमेश मण्डल, स्थानीय साहित्य प्रेमी; ८१. देवघर, (बिजली कोठी, बम्पासटॉन, देवघर), २२.०३.२०१४, ओम प्रकाश झा; ८२. मेंहथ, (झंझारपुर), कथा बौध सिद्ध मेहथपा, ३१.०५.२०१४, गजेन्द्र ठाकुर; ८३. सखुआ-भपटियाही, ३०.०८.२०१४, नन्द विलास राय/फागुलाल साहु/सूरज नारायण राय 'सुमन'; ८४. बेरमा (मधुबनी), २०.१२.२०१४, शिवकुमार मिश्र, स्थानीय साहित्य प्रेमी; ८५. भागलपुर, (श्याम कुंज, द्वारिकापुरी भागलपुर), ०४.०४.२०१५, ओम प्रकाश झा ; ८६. लकसेना (मधुबनी), २०.०६.२०१५, राजदेव मण्डल 'रमण', सत्यदेव 'सुमन' ; ८७. निर्मली (सुपौल), १९.०९.२०१५, उमेश मण्डल, स्थानीय साहित्य प्रेमी ; ८८. मध्य विद्यालय- डखराम (बेनीपुर), ३०.०१.२०१६, कमलेश झा, अमर नाथ झा ; ८९. लौकही, २६.०३.२०१६, उमेश पासवान एवं प्रेम कुमार साहु; ९०. लक्ष्मीनियाँ (मधुबनी), १८.०६.२०१६, राम विलास साहु, स्थानीय साहित्य प्रेमी; ९१. गोधनपुर (मधुबनी) २४..२०१६, दुर्गानन्द मण्डल; ९२. नवानी (मधुबनी), ३१.१२.२०१६, अजय कुमार दास 'पिन्टु'; ९३. रतनसारा (घोघरडीहा), २५.०३.२०१७, राजदेव मण्डल, स्थानीय साहित्यानुरागी ; ९४. लौफा (मधेपुर), २४.०६.२०१७, डॉ. योगेन्द्र पाठक वियोगी, स्थानीय प्रेमी  ; ९५. जलसैन डुमरा (मधुबनी), ०९..२०१७, नारायण यादव; ९६. धबौली (लोकही),  १६.१२.२०१७, राधाकान्त मण्डल ; ९७. बेरमा (लखनौर),  २४..२०१८, कपिलेश्वर राउत, बेरमा ग्रामवासी ; ९८. सिमरा (झंझारपुर), १६..२०१८, डॉ. शिव कुमार प्रसाद ; ९९. मुरहद्दी, (बड़की टोल), २२..२०१८, प्रो. प्रीतम निषाद , १००. निर्मली (तेरापंथ भवन), २२.१२. २०१८, उमेश मण्डल, नवरत्न वेंगानी, मनीष जालान ; १०१. झिटकी (मधुबनी),  ३०..२०१९, भारत भूषण झा  ; १०२. मझौरा, (मधुबनी), २९.०६.२०१९, जय प्रकाश मण्डल, आलोक कुमार; १०३. रामपुर (मधुबनी), २८..२०१९, उमेश नारायण कर्ण 'कल्प कवि' ; १०४. वलम नगर-महदेवा (लौकही), १४.१२.२०१९,प्रेम कुमार साहु,उमेश पासवान; १०५.दरभंगा (सीतायन सभागार), १३.०२.२०२१, कमलेश झा ; १०६. हटनी (घोघरडीहा, मधुबनी), २५.०९.२०२१, लालदेव कामत; १०७. बेलहा (फुलपरास), २५.१२.२०२१, जीवकान्तक स्मृतिमे, उमेश मण्डल, . शैलेन्द्र मण्डल; १०८. मधुरा (मधुबनी), २६.०३.२०२२, डॉ. श्रीशंकर झा; १०९. ननौर (मधुबनी), २५.०६.२०२२, प्रदीप पुष्प; ११०. सोनवर्षा (लौकही), २४.०९.२०२२, अच्छेलाल शास्त्री, स्थानीय साहित्य प्रेमी; १११. रहुआ संग्राम (मधुबनी) ३१.१२.२०२२, अशोक अविचल; ११२. सहुरिया (अन्धराठाढ़ी) मे २५ मार्च २०२३, रामचन्द्र राय  ११३ म सगर राति दीप जरय जून २०२३ मासक अन्तिम शनि दिन हएत- आगामी संयोजक श्री नारायण यादव [स्थान नहरी (खुटौना) गाम]।

१११म 'सगर राति दीप जरय' रहुआ संग्राममे सम्पन्न भेल

साहित्य अकादेमीक मैथिली परामर्शदातृ समितिक अध्यक्ष डॉ. अशोक अविचल व्यक्तिगत आधारपर १११म 'सगर राति दीप जरय' आयोजन, वर्षक ३१ दिसम्बर २०२२ शनि दिन, रहुआ संग्रामक 'आदिनाथ मधुसूदन पारस मणि संस्कृत महाविद्यालय' सभागारमे सफलतापूर्वक सम्पन्न करबेलनि। ३३ टा नूतन कथाक पाठ भेल। पठित कथा सभपर मैथिली कथाकार लोकनि टिप्पणी केलनि। एतऽ विभिन्न विधाक १७ पोथीक लोकार्पण सेहो भेल। आयोजन तीन-तीन मासपर, वर्ष भरिमे चारि खेप आयोजित होइए। प्रथम 'मार्च'मे, द्वितीय 'जून'मे, तृतीय 'सितम्बर'मे चतुर्थ 'दिसम्बर'मे।

एतऽ किछु मूलधाराक साहित्यकार नाम नै लेबाक शर्तपर सूचित केलन्हि, जे अशोक अविचल सात टा गएर लिटेरेरी असोसियेशन साहित्य अकादेमीक मेम्बरशिपमे एकटा नाम आगाँ अनलक अछि- डॉ. अजय कुमार झा जे अशोक अविचलक भागिन छथिन्ह (किछु गोटेक अनुसार ममियौत पिसयौत); तेँ मूलधाराक कथाकार लोकनि १११म सगर जाति दीप जरयक बहिष्कार केलनि। पुछलापर जे तखन विभूति आनन्द, हीरेन्द्र कुमार झा, दमन कुमार झा अशोक कुमार मेहता केना १११म सगर राति दीप जरयमे पहुँचला, तँ सभ सूचित केलनि जे तइ लेल चारू गोटेक करार अशोक अविचलसँ भेलन्हि जे एकरा ११२ सगर राति दीप जरय लिखता, मुदा कोनो आमंत्रणमे से नै केलन्हि बैनरपर ऊपरमे छोट सन 'क्रम ११२' लिखलन्हि। तइपर संचालक हीरेन्द्र कुमार झा उसकेलापर अध्यक्ष विभूति आनन्द समेत दमन कुमार झा अशोक कुमार मेहता - घण्टा बाद खा पी कऽ ओतऽ सँ प्रस्थान कऽ गेला, मुदा समानान्तर धाराक सभ कथाकार भोर धरि गोष्ठीमे रहि एकरा सफल बनबेलन्हि। एतऽ स्पष्ट कऽ दी जे कृत्य हीरेन्द्र कुमार झा पहिनहियो केने छथि जे विदेहमे अभिलेखित अछि [८९म सगर राति दीप जरय, औरहा (लौकही), १५..२०१३, संयोजक- उमेश पासवान; हीरेन्द्र झा द्वारा क्रमांक ९० नै केलापर गोष्ठीक बहिष्कार हुनका उसकेलापर अशोक कुमार मेहता सेहो बहिष्कार केलनि] एतऽ ईहो स्पष्ट कऽ दी जे हीरेन्द्र कुमार झा लूज टॉक करैमे माहिर छथि अपना सङे आयल लोकक विषयमे, कनियो जँ सभ एम्हर-ओम्हर गेला, तँ ढाकीक ढाकी विषवमन करै छथि। संगहि ईहो स्पष्ट कऽ दी जे समानान्तर धाराक लेखक लोकनिक सगर राति दीप जरयमे आगमनसँ पूर्व, जखन हीरेन्द्र कुमार झा सभक बोलबाला छलन्हि, गोष्ठीमे सभ खा पी कऽ सूति जाइ छला मात्र कथा पढ़निहार असगरे जागल रहै छला, जकर विरोधमे आशीष अनचिन्हार कथा पढ़बासँ मना कऽ देने रहथिन्ह, मुदा मूलधारा भोरमे जे न्यूज देलक तइमे गप नै आयल। सभटा खेरहा हमर पोथी प्रबन्ध-निबन्ध-समालोचना भाग- मे अभिलेखित कएल गेल अछि जे उपलब्ध अछि http://videha.co.in/pothi.htm पर। साहित्य अकादेमी द्वारा गत दस बर्खसँ समानान्तर धाराक एकमात्र स्थल सगर राति दीप जरय केँ गीड़ि लेबाक प्रयास कएल जा रहल अछि। आगामी ११२म 'सगर राति दीप जरय' आयोजन श्री रामचन्द्र रायक संयोजकत्वमे हुनक पैतृक गाम- सहुरिया (अन्धराठाढ़ी) मे 'मार्च' २०२३ मासक अन्तिम शनि दिन हएत, से सर्वसम्मतिसँ निर्धारित भेल। हीरेन्द्र कुमार झा अपन ब्लैकमेलिंग आगाँ सेहो पूर्ण निष्ठासँ जारी राखलनि जखन ०२.०१.२०२३ केँ रामचन्द्र रायकेँ फोन कऽ आगामी गोष्ठीक क्रमांक ११२ नै ११३ करबाक दुष्टतापूर्ण ब्राह्मणवादी आग्रह केलन्हि डरेलन्हि, जइ सँ कोनो तरहेँ साहित्य अकादेमीक गोष्ठीकेँ सगर राति दीप जरयक मान्यता भेटि जाय, फेर ०५.०१.२०२३केँ घट्टी मानलन्हि। साहित्य अकादेमी हुनकर दस बर्खसँ जारी कुत्सित प्रयासक मेहनताना दैत हेतन्हि जँ नै देने छन्हि तँ आगाँ देतन्हि। विदेहक आगामी साहित्यिक भ्रष्टाचार विशेषांक मे सभ गपक खुलासा हएत।

सम्बन्धमे स्पष्ट कऽ दी जे अशोक अविचल गोष्ठीक आयोजन पूर्ण रूपसँ व्यक्तिगत रूपेँ केने रहथि। दिल्लीक साहित्य अकादेमीक गोष्ठी जे टैगोरक १५० जयन्ती बर्खमे आयोजित भेल जकरा साहित्य अकादेमी अपन वार्षिक रिपोर्ट आय-व्यय खातामे अपन गोष्ठीक रूपमे वर्णित केलक तकर पाइक वितरण देखेलक ऑडिटरसँ अप्रूव करेलक, जे सही मदमे टैगोरक कार्यक्रम लेल खर्च भलै (सगर राति दीप जरय लेल नै) केँ सगर राति दीप जरयक रूपमे मान्यता देबा लेल मूल धाराक पुरस्कार/ असाइनमेण्ट लोलुप ब्राह्मणवादी लोक गत दस बर्खसँ अपस्याँत छथि, से एक बेर फेर असफल भेल।  

रहुआ संग्राम गोष्ठीमे निम्न कथाक पाठ भेल, . डॉ विभूति आनन्द : आस्था, विश्वास परम्परा; . रवि भूषण कुमार : भोजक वहिष्कार; . मानब अनीष मण्डल : सत्यक भ्रूण हत्या; . रितिक मण्डल : गेलौं तँ हम गेलौं ; . पं. शिव कुमार मिश्र : वसुधा काहू को होय; . उमेश मण्डल : अप्पन जिम्मा; . आचार्य रमानन्द मण्डल : बाल वैरागी; . राधाकान्त मण्डल : भुमहुर आगि अल्हुआ; . झोली पासवान : कारी नाग; १०. नारायण यादव : कनियाक जीवन; ११. कपिलेश्व राउत : चेफरी; १२जगदीश प्रसाद मण्डल : कुमहरक बतिया; १३. अमित मिश्र : अधलाहक परिणाम अधलाहे; १४. बैद्यनाथी राम : हमहीं धनीक छी; १५हरिश्चन्द्र झा : निरीक्षण; १६प्रीतम कुमार निषाद : बुढ़ारी भ्रूणक हत्या; १७श्रवण कुमार मण्डल : प्रेम विवाह; १८. रामसेवक ठाकुर : सात पूत रामकेँ; १९रामकृष्ण परार्थी : आड़ि; २०दुर्गेश मण्डल : द्वन्द; २१लालदेव कामत : मधुमाछी ; २२शारदानन्द सिंह : जावत सोंखा के नाव होयतो तावत; २३अरविन्द प्रसाद : नेंगरू मंगरू; २४अशोक अविचल : मनुआ नाचय मोर; २५नारायण झा : राजनीतिमे राजनीति; २६उमेश नारायण कर्ण : माय; २७दुर्गानन्द मण्डल : सपना; २८राम विलास साहु : नीक करब तँ बेजाए किए हएत?; २९नन्द विलास राय : रंगल नढ़िया; ३०रामचन्द राय : तोहीं जितलेँ हमहीं हारलौं; ३१रामेश्वर प्रसाद मण्डल : हमरो बहिन अछि; ३२. विनय मोहन जगदीश : छट्ठू; ३३. रमेश कुमार शर्मा : संघर्ष।

गोष्ठीमे निम्न पोथी सभक लोकार्पण भेल- . साहित्यकारक विवेक (कथा संग्रह)  :  जगदीश प्रसाद मण्डल; . नब बनक नब फल (कथा संग्रह)  :  जगदीश प्रसाद मण्डल; . सुचिता (उपन्यास) :  जगदीश प्रसाद मण्डल; . प्रतिकार एखन बाँकी अछि (काव्य संग्रह) : रामकृष्ण परार्थी; . असल पूजा (कथा संग्रह)  :  नन्द विलास राय; . संयोग (कथा संग्रह) :  रबीन्द्र नारायण मिश्र; . लजकोटर (उपन्यास)  :  रबीन्द्र नारायण मिश्र; . इएह थिक जीवन (संस्मरण)  :  रबीन्द्र नारायण मिश्र; . राष्ट्र मंदिर (उपन्यास)  :  रबीन्द्र नारायण मिश्र; १०. मातृभूमि  (उपन्यास)  :  रबीन्द्र नारायण मिश्र ; ११. सीमाक ओहि पार (उपन्यास)  :  रबीन्द्र नारायण मिश्र; १२. नित नवल सुभाष चन्द्र यादव  :  गजेन्द्र ठाकुर ; १३. मैथिली समीक्षाशास्त्र (आलोचना)  :  गजेन्द्र ठाकुर ; १४. Rajdeo Mandal Maithili Writer :  Gajendra Thakur; १५. सुभद्रा कुमारी चौहान (विनिबन्ध)  :  डॉ. अशोक अविचल; १६. जेतए ने जाए कवि ओतए जाए अनुभवी (विचारोत्तेजक गद्यांश संकलन) :  डॉ. उमेश मण्डल; १७. जगदीश प्रसाद मण्डलक काव्य संग्रह (अनुसन्धान विश्लेषण) : डॉ. उमेश मण्डल।

सुभाष चन्द्र यादव समानान्तर धाराक १११म सगर राति दीप जरयक सफलता लेल संदेश पठेलन्हि नै आबि सकबा लेल दुख व्यक्त केलन्हि। लोकार्पित पोथी 'नित नवल सुभाष चन्द्र यादव' लेल अपूर्व उत्साह देखल गेल, उपस्थित लोक मांगि-मागि कऽ पोथी लेलनि फोनपर दूर दिल्ली आन-आन ठामसँ पोथीक ऑर्डर लोकार्पण दिने सँ आबय लागल।